हैऽत कोना कें? - कस्तूरी झा ‘कोकिल

कस्तूरी झा कोकिलकस्तूरी झा कोकिल1 Sept 1932

6 min read · 12.4K reads

बिना पाईकऽ हैऽत कोनाक भैया कन्यादान,
एऽह फिकिर में नींद न होय अछि सूखल जाय अछि प्राण।

सोन सनक बेटी सयानी अछि,
पढ़वा में नीक मुदा लजानी अछि।
घरक काज में ततबे प्रवीण,
की कहू साक्षत गुण खानी अछि।

वरक बाप मुदा बनल छथि टाका लेल नादान।
बिना पाई.....सूखल जाय अछि प्राण।

टी.भी. लागत मोपेड लागत
बाजे छथि बहन ऽय।
वर बरातक खर्चा लागत
जानिलियौ निश्चय।

एक लाख पढ़वा लेल राखू या रचता मकान।
बिना पाई....सूखल जाय अछि प्राण।

वरक भविष्य ज्योतिषी कहता
डा. अभियन्ता याकि किसान?
आनक खेत कतेदिन रहितेन?
या लिपता खलिहान?

मगर शान टाटा बिड़ला केर खाय उधारक पान।
बिना पाई..... सूखल जाय अछि प्राण।

कतैय जाय किछु बुझिनैं पड़ै अछि
धीरज राखू बहुत बजै छथि।
मुदाकथा होय हलका फुलका
एको जनभाय कहाँ बजै छथि?

औल बौल में रात बितैयऽ गिनैत तारा चान।
बिना पाई..... सूखल जाय अछि प्राण।

घर बैशी हरिनाम जपै छी,
बम भोलाकें भाँग गछै छी।
औघड़दानी लाज बचेता,
हुनके निशिदिन नाम भजै छी

वरक बाप कें तांडव रोकू दियौ अहाँ सब ध्यान।
बिना पाई.... सूखल जाय अछि प्राण।

-27.09.1985
कस्तूरी झा कोकिल
About the poet

कस्तूरी झा कोकिल

View profile & all 64 Poems / Stories

More Poetry & Stories You May Like

कुछ नहीं चाहने वाली लड़कीसोलह की यह लड़की दो-तीन साल पहले तकपेड़-पौधों पर रखती थी पाँव— ऐश्वर्य राजभूमिहीनभूख के शिकार पर निकले ये शिकारीएकदम मुकम्मल आदमी हैं— हुकुम ठाकुरआओ मिट्टी-मिट्टी खेलेंहमें आँतों से सोचना होता हैसुबह और शाम की पालियों में कटता दिन— हुकुम ठाकुरसपनों की लाशेंशायद हम एक ऐसी दुनिया से विदा लेंगे जहाँ,क़ातिल ख़ुद से ही बरी कर लेता है ख़ुद को।— फ़रीद ख़ाँमेरा यह शब्दसमूह(तरुण कवियों के हाथ में)स्वप्न-वाटिका छूकर आते हुए मेरे इन शब्दों में जीवन-धारा की सुषमा— हीरेन भट्टाचार्यपृथ्वी मेरी कवितामेरी क़लम लोहार के हाथ का हथौड़ा, ठोंक-पीट कर बनाता हूँ शब्दकिसान के फाल जैसा पैना; हलरेखा में सोने की सीता,— हीरेन भट्टाचार्य