
सपटा सँ भेटल वरदान
विपटा केर स्राप भ गेलै
की करतै यज्ञक संकल्प
उनटा जँ जाप भ गेलै ।
पाबनि-पाबनि बाँटल लोक
बन्हकी लागल मुरेठ भेल
आखर- आखर कीलित देश
कठरा छूटल सिलेठ भेल
सदिखन जागल आँखिक लेल
सपना संताप भ गेलै ।
तोरि गेलै खेतक सभ आरि
गाम- गाम आबिकें दहार
कत गेलै बहिंगा सन मोछ
कत गेलै बज्जर केवार
बौनवीर सभ लगैछ आइ
राजनीति नाप भ गेलै ।
टोल-टोल अछि मसान घाट
जरइछ बारहमासा गीत
नगरक फुटपाथ पर बिकाइ
आँचर केर खूँट बन्हल प्रीत
हुनका ले सभटा आदर्श
रमनामी छाप भ गेलै ।
विपटा केर स्राप भ गेलै
की करतै यज्ञक संकल्प
उनटा जँ जाप भ गेलै ।
पाबनि-पाबनि बाँटल लोक
बन्हकी लागल मुरेठ भेल
आखर- आखर कीलित देश
कठरा छूटल सिलेठ भेल
सदिखन जागल आँखिक लेल
सपना संताप भ गेलै ।
तोरि गेलै खेतक सभ आरि
गाम- गाम आबिकें दहार
कत गेलै बहिंगा सन मोछ
कत गेलै बज्जर केवार
बौनवीर सभ लगैछ आइ
राजनीति नाप भ गेलै ।
टोल-टोल अछि मसान घाट
जरइछ बारहमासा गीत
नगरक फुटपाथ पर बिकाइ
आँचर केर खूँट बन्हल प्रीत
हुनका ले सभटा आदर्श
रमनामी छाप भ गेलै ।
Read More! Learn More!