दीप जकाँ एक नाम - बुद्धिनाथ मिश्र

बुद्धिनाथ मिश्रबुद्धिनाथ मिश्र1 Sept 1949

3 min read · 12.4K reads

दिन भरि गाछक छाँह जकाँ
क्यो संग चलय अभिराम
साँझ परैत बरैए मन मे
दीप जकाँ एक नाम ।

बरिसत कहियो वन-पाँतर
चेतन मेघ क जलधार
एक चिरायु तृषा सँ जीवित
ई जलहीन इनार

स्नेह क स्वाति-विंदु ले भटकल
चातक चारू धाम।

राति-विराति पाँखि तोरै अछि
मौन क सोनचिरै
भोरे सिङरहार तर अगबे
दूभि-अछत झहरै

फूल क वाण अनिल संधानय
मारय ठाम-कुठाम।

पुरना काँपी मे गीत क सङ
देखि मयूर क पाँखि
शापित यक्ष क कथा सुमिरि
भरि आयल दूनू आँखि

आर कते दिन शीतलहरि चलतै
ई जानथि राम।
बुद्धिनाथ मिश्र
About the poet

बुद्धिनाथ मिश्र

View profile & all 56 Poems / Stories

More Poetry & Stories You May Like