गजल सन सजल मधुर भाव प्रियतम - भास्करानन्द झा भास्कर

भास्करानन्द झा भास्करभास्करानन्द झा भास्कर20 Sept 1975

2 min read · 12.4K reads

गजल सन सजल मधुर भाव प्रियतम
गगन सन हॄदय जीवन नाव प्रियतम

बतहा मनमे उड़ल आब प्रेमक बसंती
देह नेहक लगल हमर दाव प्रियतम

सुख दुखक आनन्द गजबे बनल संग
अह्लादक मलहम लगल घाव प्रियतम

शीत उष्माक उपमा हीय उपमान हमर
श्लेष शेषक काल हमर ताव प्रियतम

कोमल उरोजक मध्य चहकैत सुरुज
सदिखन प्रकाशित जीवन गाव प्रियतम
भास्करानन्द झा भास्कर
About the poet

भास्करानन्द झा भास्कर

View profile & all 30 Poems / Stories

More Poetry & Stories You May Like