विद्यापतिक नाम पत्र - कस्तूरी झा ‘कोकिल

कस्तूरी झा कोकिलकस्तूरी झा कोकिल1 Sept 1932

3 min read · 12.4K reads

वसंत बिहीन अछि,
मिथिलाक वगिया।
अहाँक पठाबी कोनाँ
दिलकेर बतिया?

ढाम वेहे थिक
वेहे थिक फुलवारी।
पर न बटुक अब
होइय त्रिपुरारी।

अहाँक बहाओल,
मधुरस धारा;
छकि छकि पीवैत अछि
आजु जग सारा।

किन्तु, अहाँक बिना,
सून भवन अछि।
पुष्प सँ बिहीन तरू
जग केर चमन अछि।

कहू कोन तरहें?
मौॅन कऽ बुझाबी।
बिना अहाँक अईने,
दिलकऽ रिझाबी?

वसन्त बिहीन अछि
मिथिलाक वगिया।

-मुक्त कथन, 26.10.1973
कस्तूरी झा कोकिल
About the poet

कस्तूरी झा कोकिल

View profile & all 64 Poems / Stories

More Poetry & Stories You May Like