कविता - कुमार मुकुल

कुमार मुकुलकुमार मुकुल2 Sept 1966

2 min read · 12.4K reads

सांचक शिखर धरि जाय वला
दूरक रस्‍ता थिक कविता
​सांचक सूरजक आंच सं जों
हम्‍मर हाथ आ हम्‍मर पायर
फूलय लागय अछि
तं सपनाक हाथ सं
हमरा सभक कें थाम्हि ले अछि कविता
कल्‍पना केर पांखि सं ले उड़े अछि
बयार अ झंझावातक मध्‍य सों
ज नेना जकां काने लागी हम
त मायक लोरी जकां
सुता दे अछि कविता

आ अप्‍पन अंचरा खींच कै
सूरज के सोझा कैए दै अछि। ​
कुमार मुकुल
About the poet

कुमार मुकुल

View profile & all 131 Poems / Stories

More Poetry & Stories You May Like